बाहरी कए टिकट नहि देताह पासवान

नई दिल्ली। बिहार मे पहिने अपन विधायक स झटका खा चुकल लोजपा अध्यक्ष राम विलास पासवान एहि बेर सतर्क छथि। ओ साफ क देलथि अछि जे चुनावी माहौल मे बाहरी लोक कए पार्टी टिकट नहि भेटत। ओ कहला जे अगिला दू हफ्ता मे राजद क संग सीट क बंटवारा तय भ जाएत। सरकार मे शामिल हेबा पर आ कहला जे राज्य सभा दलितक आवाज उठेबा लेल गेलहुं अछि, सरकार मे शामिल हेबा लेल नहि। हम सदन आ ओकर बाहर विपक्षक भूमिका मे रहब। पासवान साफ केलथि जे बिहार मे ओ राजद संग मैदान मे उतरि नीतीश सरकार कए सत्ता स दूर करताह। बिहार मे कांग्रेस क स्थिति पर कहला जे फिलहाल कांग्रेस राज्य मे ठार हेबाक कवायद मे जुटल अछि। लोजपा आ राजद राजग क बिहार मे विकल्प अछि आ चुनावक बाद हमर गठबंधन सरकार बिहार मे बनत। ओ कहला जे कांग्रेस क इ सपना सपने रहत जे अल्पसंख्यक हुनकर संग अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments