बार बाला क संग नाचबा लेल विधायक मंगलथि माफी

पटना। पटना मे बार बाला क संग अश्लील नृत्य करबा क बाद जदयू विधायक श्याम बंधु सिंह अपन कृत्य पर माफी मांगि लेलथि अछि। एकटा निजी समाचार चैनल पर जारी फुटेज मे ओ बार बाला क संग नृत्य करैत देखेलाक बाद चर्चा मे छलाह। ओना पिछला साल मध्यप्रदेशक एकटा मंत्री वैले नाच मे शामिल छलथि आ ओ एहि लेल माफी तक नहि मंगलथि। मुदा जीरादईक एहि विधायक कए अपना पर लागल आरोप सही लागल आ ओ एतबा धरि कहि देलथि जे यदि पार्टी हुनका स इस्तीफा मांगत त वो इस्तीफा देबा लेल तैयार छथि। सिंह कहला जे हुनक आवास पर भेल होली मिलन कार्यक्रम क संबंध महादलित रैली स संबंध नहि अछि। अपन गलती पर माफी मांगबाक कोनो नेताकएहि पहिल उदाहरण स इ उम्मीद जगैत अछि जे धमकी, लूट, हत्या आ घोटाला केनिहार नेता सब सेहो कहियो जनता स एहिना अपन गलती कए स्वीकार करि क्षमा मंगताह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments