बाढ थर्मल स निकलल धूंआ, नवंबर स भेटत बिजली

0
1
esamaad maithili newspaper

पटना : एनटीपीसी बाढ़ क चिमनी स धुआं निकलब शुरू भ गेल। कोयला क पहिल रैक सेहो थर्मल पावर स्टेशन पहुंच गेल अछि। जूनक पहिल सप्‍ताह मे पावर ट्रांसफार्मर क माध्यम स ग्रिड तक बिजली संचरण क परीक्षण सेहो क लेल जाएत। आब इ तय भ गेल जे 13 नंवबर, 2013 तक बाढ़ नेशनल थर्मल पावर (एनटीपीसी) क पहिल इकाई स उत्पादित बिजली उपलब्‍ध भ सकत। बिहार कए एहि स 330 मेगावाट बिजली भेटबाक अछि। फिलहाल, तेल स धमन भट्ठी मे ताप आ स्टीम क परीक्षण शुरू क देल गेल अछि ।

एनटीपीसी बाढ़ मे 660 मेगावाट उत्पादन क्षमता क पांचटा इकाइ स्थापित भ रहल अछि। चारित इकाई मे बिजली उत्पादन स लकए संचरण तक क सबटा प्रणाली क परीक्षण प्रक्रियाधीन अछि। हालांकि, अंतिम रूप स बिजली क आपूर्ति नवंबर, 2013 स शुरू हेबाक संभावना अछि। ओकर बाद नौ महीना क भीतर पांचम इकाई जुलाई 2014 मे उत्पादन शुरू करत।

बाढ़ एनटीपीसी क कुल उत्पादन क्षमता 3300 मेगावाट अछि। एहि मे बिहार क हिस्सा मे लगभग 1183 मेगावाट बिजली भेटबाक अछि । चारिम आ पांचम इकाई स 50 फीसदी बिजली बिहार कए भेटत जखनकि यूनिट एक, दू आ तीन मे राज्य क हिस्सेदारी 26.42 फीसद अछि। चारिम आ पांचम इकाई स कुल 660 मेगावाट आ शेष तीन इकाई स 523 मेगावाट आपूर्ति कैल जाएत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page