बाढ थर्मल स उत्‍पादित आधा बिजली बिहार कए भेटत : शिंदे

पटना/बाढ़, । केन्द्रीय ऊर्जा मंत्री सुशील कुमार शिंदे कहला अछि जे बरौनी थर्मल लेल अतिरिक्त कोल लिंकेज क स्वीकृति अगिला बैसार मे प्रदान करबाक विशेष प्रयास होएत। संगहि ओ कहला जे बाढ़ स्थित एनटीपीसी फेज 2 स बिहार कए 50 प्रतिशत शेयर क तहत 660 मेगावाट बिजली भेटत। ओ 1 अणे मार्ग मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क संग करीब दू घंटा तक बैसार केलाक बाद पत्रकार सब स गप करैत कहला जे बाढ क अलावा अन्य स्रोत स सेहो बिहार कए अतिरिक्त 100 मेगावाट बिजली उपलब्ध कराउल जाएत। मुख्यमंत्री केन्द्रीय ऊर्जा मंत्री क ध्यान राज्य मे ऊर्जा क कमी दिस आकृष्ट करबैत बरौनी थर्मल पावर प्लांट लेल कोल लिंकेज प्राथमिकता क आधार पर स्वीकृत करबा लेल आ बाढ़ स्थित एनटीपीसी फेज 2 स अतिरिक्त ऊर्जा प्रदान करबाक अपन दावा प्रस्तुत केलथि। दूनू नेता कहला जे बैसार सौहार्दपूर्ण वातावरण मे भेल। मुख्‍यमंत्री एहि अवसर पर केन्द्रीय ऊर्जा मंत्री कए बेर बेर बिहार एबाक आग्रह केलथि। बाद मे एनटीपीसी परियोजना क निरीक्षण करबा लेल बाढ पहुंचल श्री शिंदे कहला जे बाढ थर्मल अगिला साल स बिजली क उत्पादन शुरू क देत। एनटीपीसी क दोसर चरण क 1320 मेगावाट उत्पादन संयंत्र स 660 मेगावाट बिजली बिहार राज्य कए देल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. अपन बिहार के स्वर्गो से आगू बनाबू /ताहि के लेल हम नवयुवक सब सछम छी/सब मिली एक नया बिहार बनाबू/

Comments are closed.