बाढ क दोसर यूनिट चालू, पहिल फेजक काज सेहो करत एनटीपीसी

पटना। बाढ़ बिजली घर क दोसर फेज क दोसर यूनिट स सेहो बिजली उत्पादन शुरू भ गेल। बाढ़ बिजलीघर क जनसंपर्क अधिकारी, विश्वनाथ चंदन कहला जे ‘स्टेज-2 क यूनिट पांच कए सिंक्रोनाइज्ड क देल गेल अछि। एकरा पूर्वी ग्रिड स जोड़ल गेल अछि । 31 मार्च तक एहि स बिजली क विधिवत उत्पादन शुरू करबाक लक्ष्य अछि। खुशीक समाद जे पहिल फेज क काज सेहो आब एनटीपीसी करत। सरकार रूसी कंपनी स एकर निर्माण क जिम्मेदारी ल लेलक अछि आ ओकर जमानत राशि सेहो जब्त  क लेलक अछि। उल्लेखनीय अछि जे उक्त रूसी कंपनी एहि काज कए करबा मे सक्षम नहि भ रहल छल आ नाजायज राशिक मांग क रहल छल। सरकार आखिरकार एकर निर्माणक जिम्मा एनटीपीसी कए सौंप देलक अछि आ एनटीपीसी एकर निर्माण आब भेल क मदद स करत। ज्ञात हो जे दोसर फेजक काम भेल क रहल अछि। जेकर पहिल यूनिट पिछला साल शुरु भ गेल छल आ दोसर यूनिट सेहो आब चालू भ गेल। रविदिन स्टेज दू क यूनिट 5 कए सफलतापूर्वक सिंक्रोनाइज्ड क देल गेल। एकरा पूर्वी ग्रिड स जोड़ल गेल अछि। एकर बिजली बिहार कए एक माह क बाद भेटब शुरु भ जायत। एखन एकर व्यावसायिक उत्पादन शुरु नहि भेल अछि। एहि ठाम स ओडिशा, झारखंड सिक्किम कउ सेहो बिजली भेटत। हालांकि एनटीपीसी छह माह क अंतराल पर एकटा यूनिट कए चालू करबाक समय सीमा तय केने अछि। एहन मे आगू सेहो काज प्रगति पर अछि। दोसर यूनिट क क्षमता 660 मेगावाट अछि। एहि यूनिट मे बिहार कए 65 फीसदी हिस्सेदारी अछि । बिहार कए 429 मेगावाट बिजली भेटत । पिछला साल 15 नवम्बर कए यूनिट संख्या चारि स उत्पादन शुरू भेल छल । ओहि ठाम स सेहो बिहार कए एतबे बिजली भेट रहल अछि। एहि प्रकार स बाढ़ बिजलीघर क स्टेज-2 स बिहार कए 851 मेगावाट बिजली भेटत। एहि समय बाढ़ बिजलीघर स बंगाल, ओडिशा, झारखंड आ सिक्किम कए बिजली आवंटित अछि। पहिने एहि मे बंगाल सेहो शामिल छल। बंगाल स्टेज-2 मे अपन कोटा लेबा स मना क देने अछि । जाहि स बिहार कए बंगाल वाला हिस्सा सेहो भेटल।

केकरा केतबा बिजली

राज्य  स्टेज-1   स्टेज-2

(मेगावाट)   (मेगावाट)

बिहार   523    660

झारखंड  202    80

ओडिशा  418    166

प. बंगाल  502  199

सिक्किम  38   17

अनावंटित  297   198

(स्टेज-2 क बंगाल क 199 मेगावाट बिजली बिहार कए)

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments