बाढि निरोधक काज नहि होएत पूरा, बहबा लेल रहू तैयार

1
13
esamaad maithili newspaper

पटना : सरकार बाढ़ि स सुरक्षा क नाम पर जे योजना तैयार केने अछि ओहि मे स आधो योजना 15 जून तक पूरा नहि भ रहल अछि। एहि साल बाढ़ स सुरक्षा लेल कटाव निरोधक क 420टा योजना पर कुल 804 करोड़ खर्च हेबाक अछि। प्रावधान क तहत बाढ़ सुरक्षात्मक कार्य अमूमन 15 जून तक पूरा क लेबाक लक्ष्य राखल गेल छल, मुदा स्थिति इ अछि जे एखनधरि 58टा योजना पूरा भ सकल अछि। जल संसाधन विभाग लग मात्र एक मास क समय रहि गेल अछि। ओना अधिकारीक दावा अछि जे 81टा योजना क प्रगति 90 स सौ फीसदी क बीच अछि जखनकि 94टा योजना 75 स 90 फीसदी क बीच, मुदा 132टा योजना एखन धरि 50 स 75 फीसदी क बीच लटकल अछि, जखनकि 31टा योजना 25 स 50 फीसदी क बीच पूरा भ सकल अछि। चारिटा योजना पर त मात्र 10 स 25 फीसदी क बीच आ एक फीसदी योजना पर दस फीसदी स कम काज भेल अछि। कटाव निरोधक कार्य क रफ्तार क इ हाल तखन अछि जखन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कटाव निरोधक कार्य कए समयसीमा मे पूरा करबा लेल दिसम्बर मे एकटा उच्चस्तरीय बैसार केने छलाह, मुदा मिथिला क्षेत्र क विभागीय मंत्री रहबाक बावजूद मिथिला एक बेर फेर बहबा लेल तैयार अछि।
दोसर दिस, गंगा बाढ़ नियंत्रण आयोग (जीएफसीसी) विभाग लेल परेशानी ठार क देलक अछि। कटाव निरोधक क चारिटा आ बाढ़ि स गाम कए बचेबाक चारिटा योजना कए गंगा बाढ़ नियंत्रण आयोग (जीएफसीसी) स्वीकृति नहि देलक अछि। इ योजना बागमती नदी पर बेलवा घाट, ललबकिया आ बंगरा नदी पर बांध क सुदृढ़ीकरण आओर कटिहार जिलाक रामायणपुर लग कटाव निरोधक कार्य लेल छल। एहि मे स तीनटा योजना 25-25 करोड़ क अछि। शेष तीनटा योजना बगहा शहर क सुरक्षा, कमलाबलान तटबंध क विस्तारीकरण, भागलपुर जिला मे इस्माइलपुर लग बिंद टोली क पास कटाव निरोधक कार्य कए जीएफसीसी मंजूरी दी है, लेकिन 25 करोड़ स ज्यादा क अलग-अलग योजना क कारण केंद्र क अनुमति क बाद कार्य धरातल पर उतरि पाउत। राज्य सरकार केंद्र स योजना क स्वीकृति क इंतजार क रह अछि। इधर जल संसाधन विभाग बांध क पेट्रोलिंग लेल होमगार्ड उपलब्ध करेबाक प्रस्ताव गृह विभाग कए पठा देलक अछि। एक किलोमीटर क दूरी पर एकटा होमगार्ड क तैनाती क योजना बनाउल गेल अछि। राज्य स्तर पर बाढ़ि सुरक्षात्मक दल क गठन करब सेहो एखन बाकी अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page

1 COMMENT

  1. केना योजना पूरा होयत जखन मुख्य मंत्री के घाओ कतहु आ पौ कतहु बला हाल रहतनि !
    हुनक सभ टा एकाग्रता त दिल्ली के गद्दी दिश छईन्ह !

Comments are closed.