बागवाड़ी जाएत भागलपुर क निजी बस स्टैंड

भागलपुर : निजी बस पड़ाव आब बागवाड़ी जाएत। बागवाड़ी कए विकल्प बस पड़ाव क रूप मे विकसित कैल जाएत। एहि स्थान पर मूलभूत आवश्यकता क भौतिक सत्यापन करबा क निर्देश क्षेत्रीय परिवहन प्राधिकार क सचिव जवाहर प्रसाद आ जिला परिवहन पदाधिकारी अभ्येंद्र मोहन सिंह कए देल जा चुकल अछि। आयुक्त मिन्हाज आलम क अध्यक्षता मे भेल बैसार मे इ निर्णय लेल गेल। आयुक्त कहला जे जिला मे निजी बस क संख्या मे काफी वृद्धि भ गेल अछि। जाहि लेल बस स्टैंड क नव विकल्प पर विचार करब जरूरी भ गेल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments