बागमतिक बांध पर सडक बनबाक बाट साफ

दरभंगा। दरभंगा शहर कए एकटा नव सडक भेटत। इ सडक शहर रूप रंग बदलि देत। करीब 11 किलोमीटर क इ सडक बागमती नदीक बांध पर बनत जे शहर क सुरक्षा लेल बनाउल गेल अछि। दरभंगाक डीएम संतोष कुमार मल्ल बहुत दिन स एहि लेल प्रयासरत छलाह। जल संसाधन विभाग शहरी सुरक्षा तटबंध कए बाइपास क रूप मे विकसित करबा लेल अनापत्ति प्रमाण पत्र रोड डिवीजन कए पठा देलक अछि। मल्ल क कहब अछि जे एकमी स लकए मब्बी तक करीब 11 किलोमीटर क लंबाई मे प्रस्तावित बाइपास क लेल डीपीआर तैयार कैैल जा रहल अछि। एहि काज मे जे बाधा छल से खत्म भ गेल किया कि शहरी सुरक्षा तटबंध जल संसाधन विभाग क अधीन अछि ताहि लेल एकरा बाइपास क रूप मे विकसित करबा स पूर्व विभागक अनापत्ति प्रमाण पत्र जरूरी छल। एहि बाइपास कए बनि जेबा स मुजफ्फरपुर- दरभंगा- समस्तीपुर मार्ग पर जे वाहन क दबाव अछि ओ शहर क भीतरी हिस्सा मे खत्म भ जाएत। संगहि इ सड़क शहर कए रोज-रोजक जाम स सेहो मुक्त करत। डीएम मल्ल कहला जे बागमती पर बनल शहरी सुरक्षा तटबंध कए बाइपास क रूप मे विकसित करबा लेल सरकार कए प्रस्ताव पठेने रही, जाहि पर आब मुहर लागि गेल अछि। इ सडक आम लोक क सुविधा कए बढ़ेबा लेल आ बाहरी वाहन कए शहर स दूर रखबा लेल बनाउल जा रहल अछि। ओ कहला जे डीपीआर बनलाक बाद एहि सडक क निर्माण शुरू भ जाएत। प्रस्तावित सडक क ऊंचाई फिलहाल तटबंध क ऊंचाई स बेसी राखल जाएत। ओ दावा केलथि जे अगिला सालक अंत तक इ शहर पर रूप ल लैत आ बाइपास तैयार भेला पर शहर क रूप रेखा सेहो बदलि जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments