बांका क ककवारा मे लागत बिहार क पहिल अल्ट्रा मेगा पावर प्रोजेक्ट

पटना । आखिरकर ऊर्जा मंत्रालय, भारत सरकार बांका जिलान्तर्गत ककवारा मे 4000 मेगावाट क्षमताक अल्ट्रा मेगा पावर प्रोजेक्ट स्थापित करबाक स्वीकृति प्रदान क देलक। एहि स बिहार कए 2000 मेगावाट बिजली भेटत। सबस पैघ गप जे एहि संयंत्र लेल कोल ब्लाक क व्यवस्था भ गेल अछि। इ प्रोजेक्ट ऊर्जा क क्षेत्र मे पैघ उपलब्धि अछि। प्रोजेक्ट लेल तीन हजार एकड़ भूमि क आवश्यकता छल जेकर व्यवस्था पहिने क लेल गेल अछि। चयनित भूमि बंजर भूमि अछि । प्रोजेक्ट क लागत करीब 32 हजार करोड़ आउत। एहि स वर्ष 2019-20 तक जेनरेशन शुरू भ जाएगा। राज्य क ऊर्जा मंत्री विजेंद्र यादव इ जानकारी देलथि। ज्ञात हो जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ ऊर्जा मंत्री बिजेन्द्र प्रसाद यादव अल्ट्रा मेगा प्रोजेक्ट लेल काफी दिन स प्रयास क रहल छलाह। प्रदेश मे बिजली उत्पादन स संबंधित एहन प्रोजेक्ट आइ धरि नहि लागल छल। एकरा लेल राज्‍य सरकारक बेगरता एहि स प्रकट होइत अछि जे बिहार इंफ्रास्टक्चर भूमि तकबा मे मात्र एक सप्ताह क समय लेलक। एकर बाद केन्द्रीय टीम जाहि मे केन्द्रीय विद्युत प्राधिकरण क निदेशक पीडी शिवाल, सचिव एमएस पुरी, मुख्य अभियंत अरुण कुमार जैन, पावर फाइनेंस कारपोरेशन क सलाहकार डीके गोल्होत्रा सहित अन्य अधिकारी शामिल छलाह से जमीन देखि एहि परियोजना कए मंजूरी देबा लेल फाइल आगू बढेलथि। अंतत: ऊर्जा मंत्री ज्‍योतिरादित्‍य सिंधिया एहि परियोजना कए मंजूरी प्रदान क बिहार क चिरपरिचित मांग कए पूरा क देलथि। ज्ञात हो जे राज्य सरकार कए बाढ़ थर्मल पावर मे 50 फीसदी हिस्सेदारी भेटल आ बरौनी थर्मल लेल कोल लिंक देल गेल। दोसर दिस बिहार सरकार चौसा, बक्सर आ कजरा मे पावर प्लांट लगेबाक तैयारी सेहो शुरू क देलक अछि। ओना एकरा लेल एखन धरि कोल ब्लाक नहि भेटल अछि। बिहार राज्य विद्युत बोर्ड क जनसंपर्क निदेशक हरेराम पाण्डेय क कहब अछि जे अल्ट्रा मेगा पावर प्रोजेक्ट लगलाक बाद प्रदेश क बिजली समस्या एकटा इतिहास बनि जाएत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments