बहुत रास ट्रेन आब नहि आउत पटना

पटना। पटना टिसन पर यात्री क भारी भीड कए देखैत रेलवे अगिला एक दू मास क बाद कईटा ट्रेन कए पटना जक्‍शन नहि आनत। जानकारी क अनुसार रेलवे पटना जक्‍शन स बहत रास ट्रेन कए नवनिर्मित पाटलिपुत्र स्‍टेशन स्‍थानांतरित करबाक विचार क रहल अछि। रेवले सूत्र क अनुसार संभवत: अप्रैल स कोलकाता दिसक कईटा ट्रेन राजेंद्र नगर स आ दिल्‍ली दिसक कईटा ट्रेन पाटलिपुत्र स्‍टेशन से खुलत। ज्ञात हुए जे एखन पटना टिसन स करीब 250टा ट्रेन रोजाना गुजरैत अछि, जाहि स एहि टिसन पर यात्री क भारी दबाव रहैत अछि, संगहि पटरी क रख-रखाव सेहो प्रभावित होइत अछि। ओना रेलवे बोर्ड एखन धरि पाटलिपुत्र कए टिसन क रूप मे मंजूरी प्रदान नहि केलक अछि, मुदा कहल जा रहल अछि जे रेल बजट मे एकर चर्च भ सकैत अछि। शुरुआत मे किछु चुनिंदा ट्रेन कए एहि दूनू टिसन स जोडबाक जानकारी भेट रहल अछि। रेलवे क एकटा अधिकारी क कहब अछि जे बॉम्‍बे जनता, जनसाधारण, संघमित्रा, पटना-पुणे एक्‍सप्रेस सन किछु ट्रेन पटना क बदला मे आब पाटलिपुत्र स आयल-जायल करत। एहिना दानापुर-हाबडा, कैपिटल, दानापुर-साहेबगंज, साउथ बिहार सन किछु ट्रेन राजेंद्रनगर स चलत। अधिकारी क कहब अछि जे एहन भेला स ट्रेनक परिचालय सुव्‍यवस्थित होएत आ पटना टिसन पर भीड सेहो कम होएत। सुरक्षा क नजरि स सेहो इ बहुत जरूरी अछि किया त रख-रखाव मे कमी क कारण दुर्घटनाक संभावना प्रबल रहैत अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments