बहुत खूब : पिटाई स भेल बलात्कारी क मौत

मुंगेर। मुंगेर जिला क कोतवाली थाना क राइसर मुहल्लाक क एकटा नाबालिग लड़की कए बलात्कार क बाद हत्या करि देल गेल। इ जघन्य काज करबाक दोषी युवक कए शनिदिन राति में लोक सब पीट-पीट कए मारी देलक। पुलिसक कहब अछि जे जिला क राइसर मुहल्ला क गांधी चौक निवासी प्रदीप तांती क घर पर काज करैबाला अजय तांती ओकर साढ़े तीन वर्षीय पुत्री कए बहला-फुसला कए अपन घर ल गेल। जाहि ठाम ओ बच्ची क संग बलात्कार करबाक बाद ओकर हत्या करि देलक। सांझखन जखन बच्ची घर पर नहि पहुंचल तखन घरवाला ओकर खेजबीन शुरू केलक। बच्ची कए तकैत-तकैत लोक जखन अजय क घर पर गेल त ओतय अस्त-व्यस्त अवस्था में ओ मृत भेटल। तखन की छल। घर क अन्य सदस्य क संगहि स्थानीय लोक सेहो अजय पर टूटि पड़ल। ओकरा एतेक पीटल गेल जे बेहोश भ गेल। तखन धरि पुलिस आबि गेल आ ओकरा गंभीर अवस्था मे स्थानीय अस्पताल मे भर्ती कराउल गेल, जाहि ठाम इलाज क दौरान ओकर मौत भ गेल। ओना बिहार पुलिस अपन परंपरा आ इतिहासक अनुरूप मामला दर्ज कए छानबीन करबाक दावा कए रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments