दू अक्टूबर स शुरू होएत गंगा मे वॉटर स्पोर्टस

आशीष झा
पटना। अगर अहां वॉटर राफ्टिंग क आनन्द उठेबाक इच्‍छुक छी त अहां लेल नीक समाद। वॉटर स्पोर्टस लेल आब बिहार स बाहर जेबाक कोनो जरूरत नहि। बस दू अक्‍टूबर स पटना क गांधी घाट पर गंगा मे वॉटर राफ्टिंग संग संग सब प्रकारक वॉटर स्पोर्टस क आनन्द अहां उठा सकैत छी। एहि योजना कए जमीन पर अनिनिहार तेजकर झा क अनुसार पटनाक गंगा मे किछु रोमांचक खेल खेलबाक मौका सामने अछि। ओना त एहि ठाम पैडल बोटिंग आ मोटर बोटिंग क सेहो व्यवस्था रहत, मुदा सिंगल आ डबल स्कीइंग लेल एहि ठाम विशेष व्‍यवस्‍था कैल जा रहल अछि। एहि ठाम स्कीइंग क आनन्द कुछ खास आ अलग रहत। मोटर बोट स जुडल रस्सी क सहारे स्की पर अपना कए संतुलित रखैत पाइनक तल पर तेज गति स आगू भागबाक रोमांचक अनुभव लेबा लेल पटनाक युवा आब तैयार भ जाउ। बिहार पर्यटन विकास निगम क सहयोग स एहि वॉटर स्पोर्टस क पूरा व्यवस्था कैल जा रहल अछि। जानकारी क अनुसार एहि वॉटर स्पोर्टस क मजा लेबा लेल अहां कए कनि मोट टका खर्च करए पडत। किछु खास प्रकार क खेल लेल बेसिक ट्रेनिंग सेहो देल जाएत। निगम अधिकारी क कहब अछि जे एहि रोमांचक वॉटर स्पोर्ट स पर्यटक क नीक भीड़ जुटत। झा कहला जे सबटा बोर्ट तैयार अछि आओर ओकर नामकरण क प्रक्रिया चलि रहल अछि। पटना क लोक मे खास क युवा मे एहि योजना कए लकए खासा उत्साह अछि। उम्मीद अछि जे वॉटर स्पोर्टस स पटना कए एकटा नव पहचान भेटत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments