बलिराजगढ क उत्खनन लेल केंद्र गंभीर : महेश

BalirajGadhनई दिल्ली । केंद्रीय संस्कृति मंत्री महेश शर्मा कहलथि अछि जे केंद्र बलिराजगढ क उत्खनन लेल गंभीर अछि। बुधदिन एहि संबंध में मैथिलपुत्र आ वरिष्ठ पत्रकार संजीव सिन्‍हा भाजपाक केंद्रीय कार्यालय हुनका स भेंट क एकर एतिहासिक महत्व से हुनका अवगत करा, उत्खनन क मांग रखलथि। श्री सिन्हा कहला जे जनता क भावना एहि स जुडल अछि आ एहि संबंध में पटना हाइकोर्ट में एकटा जनहित याचिका सेहो दाखिल भ चुकल अछि। एहि उत्खनन स्थल क उपेक्षा आ महत्व पर लगातार मीडिया मे सेहो समाचार प्रकाशित होइत रहल अछि। एहि पर केंद्रीय मंत्री कहला जे भारत क इतिहास पर जमा माटी कए हटेबा लेल केंद्र सरकार यथा संभव प्रयास करत। ओ कहला जे अपन मंत्रालय आ भरतीय पुरातत्व सर्वेक्षण क अधिकारी स ओ एहि संबंध मे चर्च क शीघ्र एहि पर कार्रवाई करतथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.