बरौनी थर्मल क विस्तार योजना कए मंजूरी

पटना । राज्य मंत्रिमंडल बरौनी विद्युत ताप बिजली परियोजना क विस्तार योजना कए मंजूरी द देलक। एकर लागत 3133 करोड़ टका होएत आओर एकर उत्पादन क्षमता 500 मेगावाट होएत। अगिला वित्तीय वर्ष क बजट प्रस्ताव कए सेहो स्वीकार करि लेल गेल संगहि बजट सत्र क पहिल दिन 22 फरवरी कए राज्यपाल क अभिभाषण कए सेहो मंजूरी द देल गेल।
कैबिनेट क प्रधान सचिव रविकांत कहला जे विद्युत विस्तार परियोजना क लेल प्रस्तावित राशि क 30 प्रतिशत हिस्सा यानी 769.89 करोड़ स्वीकृत कैल गेल अछि। चालू वित्तीय वर्ष मे राज्य विद्युत बोर्ड कए 56 करोड़ आ शेष राशि अगिला वित्तीय वर्ष मे बजटीय प्रावधान क तहत बतौर ऋण देल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. great news! bahut bachha baat chhai. ai se barauni, chakiya, bihat, samastipur, darbhanga, aur bihar ke logo ke jeevan me roshni aayegi

Comments are closed.