बरौनी थर्मल कए आधुनिकीकरण क लेल 496 करोड़

पटना। स्वर्ण जयंती वर्ष क मौका पर बरौनी थर्मल पावर प्लांट कए आधुनिकीकरण योजना कए मंजूरी द देल गेल अछि। उल्लेखनीय अछि जे 26 जनवरी, 2010 कए बरौनी थर्मल पावर प्लांट क 50 वर्ष पूरा भ रहल अछि। बरौनी थर्मल पावर क महाप्रबंधक अविनाश कुमार कहला जे केन्द्रीय ऊर्जा मंत्रालय आ योजना आयोग 496 करोड़ क लागत स एहि पावर प्लांट कए अत्याधुनिक बनेबाक योजना कए मंजूरी प्रदान करि देलक अछि। योजना क अनुसार दू साल मे 220 मेगावाट (110&2) क यूनिट कए अत्याधुनिक बनेबाक योजना अछि। जेकर तहत पहिल यूनिट संख्या-7 फेर यूनिट संख्या-6 मे कार्य आरंभ होएत। आधुनिकीकरण क कार्य भेल कए सौंपा गेल अछि। एतबे नहि बरौनी थर्मल पावर मे 500 मेगावाट (250&2) क यूनिट लगेबाक सेहो तैयारी चलि रहल अछि। ओकरो अनापत्ति प्रमाण पत्र भेटि गेल अछि।
गौरतलब अछि जे 26 जनवरी,1960 कए तत्कालीन मुख्यमंत्री श्रीकृष्ण सिंह तीन यूनिट (15&3) क शिलान्यास केने छलाह। जेकर बाद दू यूनिट स 1963 मे आ एकटा स 1966 मे बिजली उत्पादन शुरू भेल। 1965 मे लागल 50-50 मेगावाट क दूटा इकाइ कए 1995-96 मे राज्य प्रदूषण नियंत्रण बोर्ड क हस्तक्षेप क बाद बंद करि देल गेल। 2003-04 मे आखिरकार एहि संयंत्र स उत्पादन बंद भ गेल। मुदा दू साल वर्ष पूर्व फेर उत्पादन शुरू भ चुकल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments