बयान पर माफी मंगलथि राहुल

यूरोपियन गेस्ट हाउस परिसर स समदिया
राहुल गांधीक दरभंगा दौरा हंगामेदार रहल। दरभंगा मे छात्रक संग आयोजित बैठक मे अपन संबोधन मे गांधी स छात्र महाराष्ट्र पर प्रतिक्रिया चाहैत छल, मुदा स्थानीय कांग्रेसीक दबाव मे राहुल एहि मामला पर चुप रहलाह आ भाजपाक एहि गढ मे मुसलमानक वोट लेल कहलथि जे देश कए बदलबाक अछि त गुजरात कए बदलू। राहुलक एहि बयान पर हंगामा भ गेल। छात्रक कहब छल जे एहि ठाम गुजरात चर्चा पूर्णत: राजनीतिक छी आ बिहारक छात्र क संग वार्ताक आड़ मे जाति आ धर्मक राजनीति भ रहल अछि। छात्र एहि गप पर कुर्सी तक उठा लेलथि जे हमरा सब कए महाराष्ट्र मे मारल जा रहल अछि आ इ गुजरातक गप करि रहल छथि। उग्र छात्र इ मानबा लेल तैयार नहि छल जे बिहारक विकास देश लेल गुजरात से कम महत्वपूर्ण अछि। छात्रक उग्रता आ बिहारिपन देखि राहुल कए गलतिक आभास भेल आ ओ माफी मंगलथि, मुदा ताबत काफी देर भ गेल छल। सभा आगू नहि भ सकल। राहुल नव अनुभव ल पटनाक लेल रवाना भ गेलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments