मोतीझील ओवरब्रिज क लोकार्पण 10 जून कए


मुजफ्फरपुर। बहुप्रतीक्षित मोतीझील ओवरब्रिज क उद्घाटन 10 जून कए भ रहल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार वीडियो कांफ्रेंसिंग क माध्यम स शुक्रदिन पूर्वाह्न 11 बजे पुल क लोकार्पण करताह। एकरा लेल चंद्रलोक चौक दिस ठाकुर नर्सिग होम क समीप डिस्पले बोर्ड लगाउल जा रहल अछि, जेकर स्क्रीन पर आम लोग मुख्यमंत्री क संदेश सुनि सकत। शिलापट लगाउल जा रहल अछि आ ओहि ठाम स्‍थानीय अतिथि लेल बैसबाक व्यवस्था कैल जा रहल अछि। सरकार स मंजूरी भेटलाक बाद आनन-फानन मे जिला प्रशासन आ इरकॉन क अधिकारी क बैठक मे इ फैसला लेल गेल। जिलाधिकारी संतोष कुमार मल्ल कहला जे पहिने मुख्यमंत्री स एहि ठाम एबा लेल समय मांगल जा रहल छल, मुदा आब वीडियो कांफ्रेंसिंग स उद्घाटन करबाक फैसला लेल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments