बदलि गेल चेहरा : नीतीशक सामने बैसलाह सिद्दीकी


आखिरकार लालू-राबडी युगक पदेन अंत भ गेल| शुक्रदिन विधानसभा अध्‍यक्ष उदय नारायण चौधरी विधिवत रूप स सत्‍ता पक्षक नेता नीतीश कुमार आ नेता प्रतिपक्ष अब्‍दुलबारी सिद़दीकी कए घोषित करि देलथि| एहि प्रकार स 1990 क बाद पहिल बेर एहि दूनू पद पर लालू पर‍िवार विराजमान नहि अछि| ओना अपन आ पासवानक परिवारक कोनो सदस्‍य कए एहि पद लेल सदन मे मौजूद नहि देख लालू कहने छलाह जे ओ नेता प्रतिपक्षक लेल जोर नहि देताह| मुदा जनताक इच्‍छा आ विधायिकाक सम्‍मान कए देखैत एहि पद पर अब्‍दुलबारी सिद़दीकी कए बैसबाक घोषणा करि देल गेल अछि| ज्ञात हुए जे इसमाद तीन माह पूर्व इ संभावना जता देने छल जे एहि बेर नीतीशक सामने राबडी नहि अब्‍दुलबारी सिद़दीकी हेताह| ओना पासवान आ लालूक विचार स ओ सीएम पदक उम्‍मीदवार नहि भ सकलाह मुदा एहि पद पर त एक प्रकार स जनता हुनका बइसा देलक|

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments