बजट स पूर्व होएत पटना मेट्रो लेल निविदा

0
2
esamaad maithili newspaper

पटना । पटना मेट्रो लेल निविदा अगिला दू मासक भीतर भ सकैत अछि। एहि परियोजना कए कैबिनेट स मंजूरी भेटलाक बाद एकर डीपीआर लगभग तैयार अछि आ सरकार पहिल फेज क काज जल्‍द स जल्‍द शुरू करबा लेल कार्रवाई कए तेज क देलक अछि। सूत्र स भेट रहल जानकारी क अनुसार एहि मास क अंत तक सरकार डीपीआर कए मंजूरी द देत आ निविदा क प्रक्रिया शुरू भ जाएत। ज्ञात हुए जे एकर डीपीआर राइटस तैयार केलक अछि जेकर आरंभिक रिपोर्ट मुख्‍यमंत्री कए पसंद आयल छल। दू चरण मे प्रसतावित पटना मेट्रो क पहिल चरण दानापुर स मीठापुर तक होएत। सूत्र क कहब अछि जे पटना मेट्रो क एलायनमेंट पर सरकार क स्तर पर मुहर लागि गेल अछि। सरकार क स्तर पर फिलहाल दू स्ट्रेच मे मेट्रो कए मंजूरी भेटल अछि। जानकारी क अनुसार पहिल फेज मे पटना मेट्रो प्रोजेक्ट लगभग तीस किमी क होएत। एहि मे दानापुर स लकए दीदारगंज क किछु हिस्सा शामिल कैल गेल अछि। गांधी मैदान, सगुना मोड़ आ दीदारगंज स मेट्रो निर्माण शुरू होएत। एकर एकटा स्ट्रेच दानापुर स्थित सगुना मोड़ स शुरू होएत। एहि ठाम मेट्रो एलिवेटेड स्वरूप मे होएत। आगू आबि कए आईजीआईएमएस लग एकटा स्टेशन बनाउल जाएत। पूरा एलिवेटेड स्वरूप मे मेट्रो सचिवालय होइत सरपेंटाइन रोड तक पहुंचत। सरपेंटाइन रोड मे मेट्रो कए अंडरग्राउंड क देल जाएत। इ अंडरग्राउंड लेन सेहो काफी लंबा होएत। सरपेंटाइन रोड स मेट्रो वीरचंद पटेल पथ होइत आयकर गोलंबर आउत। एहि ठाम सेहो एकटा स्टेशन तय अछि। एकर बाद डाकबंगला चौक होइतइ गांधी मैदान जाकए खत्म भ जाएत। दोसर स्ट्रेच दीदारगंज लग स शुरू होएत। दीदारगंज स न्यू बाइपास होइत एकर हिस्सा पुरनका बाइपास होइत गांधी मैदान दिस आउत। सब किछु ठीक रहल त एहि परियोजना पर अगिला सालक अंत तक काज शुरू भ जाएत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page