बजट मे भेटल दरभंगा कए तीनटा सनेस

आइटी पार्क, तारामंडल आ 100 बेडक सदर अस्‍पताल लेल बजट में भेल प्रावधान
बिहार मे 116886 करोड़ क बजट पेश, 71 प्रतिशत राशि होएत विकास पर खर्च

पटना। बिहार विधानसभा मे सरकार वित्तीय वर्ष 2014-।5 लेल 10 हजार 174 करोड़ क राजस्व बचत वाला 116 हजार 886 करोड़ टकाक बजट पेश केलक। बजट मे स करीब 71 प्रतिशत राशि विकास क कार्य पर खर्च होएत। सरकार दिस स पेश बजट मे दरभंगा कए तीनटा सनेस भेटल अछि। एहि मे आइटी पार्क, तारामंडल आ 100 बेडक सदर अस्‍पताल लेल बजट में प्रावधान कैल गेल अछि। एकर संगहि वैशाली मे शांति स्‍मृति स्‍तूप बनेबा लेल बजट प्रावधान सेहो कैल गेल अछि। विधानसभा मे प्रभारी वित्त मंत्री क रूप मे राज्य क जल संसाधन मंत्री विजय कुमार चौधरी वित्तीय वर्ष 2014-।5 क बजट पेश करैत कहला जे 116886.16 करोड़ क बजट चालू वित्तीय वर्ष क बजट आकार स 26.93 प्रतिशत पैघ अछि । एहि बजट मे राज्य सरकार क कर राजस्व स प्राप्ति 25662.95 करोड़ क अनुमान अछि जे चालू वित्तीय वर्ष बजट अनुमान स 22.42 प्रतिशत बेसी अछि। चौधरी कहला जे वित्तीय वर्ष 2014-।5 क बजट मे योजना व्यय 57655.12 करोड़ अछि जखनकि गैर योजना व्यय 59231.04 करोड़ अछि । ओ कहला जे एहि बजट मे राजस्व प्राप्ति क अनुमान 101939.46 करोड़ आ पूंजिगत प्राप्ति क अनुमान 14743.31 करोड़ अछि ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments