बच्चा क अनोखा बैंक बाल विकास खजाना

पटना। बिहार मे बच्च क बीच एकटा खास बैंक काफी लोकप्रिय भ रहल अछि। एकर खासियत इ अछि जे एकरा बच्चा चलवैत छथि आ एकर खाताधारक सेहो बच्चे छथि। इ बैंक क नाम अछि बाल विकास खजाना। बिहार क मुजफ्फरपुर जिला मुख्यालय क चतुर्भुज इलाका मे बच्चा अपन लेल इ बैंक चला रहल छथि। चतुर्भुज क करीब 24 टा बच्च मिल कए एहि बैंक क स्थापना 2004 मे केने छलथि। इ बैंक कए स्वयंयेवी संस्था महिला विकास केन्द्र आ दिल्ली क संस्था बटरफ्लाई मदद करि रहल अछि। एकर शाखा सीतामढ़ी आ बेतिया जिला मे सेहो खुल चुकल अछि। बाल विकास खजाना मे करीब 1,200 खाताधारी अछि आ एहि ठाम 25 लाख टका स बेसी रकम जमा अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments