बख्तियारपुर-पटना फ़ोर लेन पर शुरू होएत सितंबर स काज

पटना। बख्तियारपुर-पटना फ़ोर लेन सड़क क निर्माण कए आखिर शुरूआत तय भ गेल। सितंबर स एकर निर्माण शुरू भ जाएत आ चारि साल मे इ सड़क बनिकए तैयार भ जाएत। 50.5 किलोमीटर लंबा एहि सड़क क निर्माण पर 606 करोड़ टका खर्च होएत। प्रथम चरण मे न्यू बाइपास क सिपारा मोड़ स पटना सिटी क दीदारगंज तक फ़ोर लेन सड़क क निर्माण कराउल जाएत। दीदारगंज स बख्तियारपुर क बीच सड़क क फ़ोर लेन मे निर्माण दोसर चरण मे होएत। दीदारगंज स इ सड़क रेलवे लाइन क दक्षिण भ कए गुजरत। ज्ञात हुए जे एकर सूचना तीन साल पूर्व इसमाद अहां सब कए द चुकल अछि।
सिपारा मोड़ स दीदारगंज तक शहर क घनगर आबादी अछि। आवागमन क सुविधा लेल सिपारा स दीदारगंज क बीच सात ठाम अंडरपास सेहो बनत। पथ निर्माण मंत्री नंद किशोर यादव कहला जे ओ दू दिन पूर्व एनएचआइ क आरओ वीर बहादुर सिंह आ अन्य इंजीनियर क संग प्रस्तावित मार्ग क निरीक्षण सेहो केने छलथि। एहि दौरान ओ इंजीनियर कए फोर लेन क दूनू कात सर्विस लेन क सेहो निर्माण करेबा लेल कहलथि अछि, ताकि आम आदमी कए पैदल या साइकिल स चलबा मे कोनो दिक्कत नहि हुए।
एहि मार्ग पर सिपारा स दीदारगंज तक चलनिहार कए कोनो कर नहि देबाक अछि। विभाग दीदारगंज लग टॉल टैक्स वसूली केंद्र बनेबाक फैसला केलक अछि यानी दीदारगंज स आगूक सफ़र करनिहार कए टॉल टैक्स लागत। स्थानीय लोक कए सेहो टॉल टैक्स मे रियायत देबाक निर्णय लेल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments