बख्तियारपुर-ताजपुर कए जोड़बा लेल बनत पुल

पटना। दक्षिण बिहार कए उत्तर बिहार स जोड़बा लेल राज्य सरकार गंगा नदी पर एकटा आओर पुल बनेबाक फैसला केेलकअछि। एनएच 31 मे बख्तियारपुर स एनएच 28 मे ताजपुर कए जोड़बा लेल एहि पुल क निर्माण पर 1387.82 करोड़ क खर्च आउत। राज्य मंत्रिपरिषद बैठक मे प्रस्ताव कए मंजूरी द देल गेल। पुल क लंबाई साढ़े पांच किलोमीटर आ पथ क लंबाई 42 किलोमीटर होएत। पुल क निर्माण जन निजी भागीदारी (पीपीपी) क तहत डिजाइन-बिल्ड-फाइनांस-आपरेट एंड ट्रांसफर फार्मूले पर होएत। एकरा लेल परियोजना राशि क 20 फीसदी राज्य सरकार वहन करत आ मेंटेनेंस पर खर्च शून्य होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments