बंद होएत पटना एयरपोर्ट, गया एयरपोर्ट भेटत सेना कए

पटना । पटनाक लोकनायक जयप्रकाश एयरपोर्ट बंद भ रहल अछि।  एकर स्थान पर पटना से 33 किमी दूर बिहटा क एयरबेस कए अंतरराष्ट्रीय एयरपोर्ट में बदलबाक फैसला लेल जा रहल अछि । वायुसेना कए बिहटाक बदला मे गया एयरपोर्ट सौंपल जायत। एहि योजना पर नागरिक उड्डयन मंत्री अशोक गजपति राजू आ रक्षा मंत्री मनोहर पर्रिकर के बीच गपशप भ गेल अछि। आब कहियो रक्षा मंत्रालय एहि संबंध में अधिसूचना जारी करत। दरअसल एहि साल नवंबर मे संयुक्त राष्ट्र क संस्था अंतरराष्ट्रीय उड्डयन ऑगेर्नइजेशन ऑ़डिट करबा लेल भारत आबि रहल अछि। ताहि स पहिने इ संस्था भारत खास क पटना एयरपोर्ट पर देल जा रहल सेवा मे सुरक्षा पर सवाल उठेने छल। एतबे नहि एहि साल डीजीसीए दिस स एकरा एयरपोर्ट  लाइसेंस सेहो नहि देल गेल अछि। पटना एयरपोर्ट सुरक्षा संबंधी कईटा मानक कए पूरा नहि करैत अछि। उड्डयन मंत्रालय एहि लेल रक्षा मंत्रालय स बिहटा एयरबेस मंगलक अछि आ ओकर बदला मे गया एयरपोर्ट रक्षा मं।ालय कए देबाक प्रस्ताव देलक अछि। अगर सबकुछ ठीक रहल त  नवंबर स पूर्व बिहटा स यात्री सेवा शुरू भ जाएत। एकरा संगहि पटना एयरपोर्ट बंद क देल जाएत। नियम के मुताबिक बिना डीजीसीए क लाइसेंस कए कोनो एयरपोर्ट नहि चलि सकैत अछि, मुदा बिहार मे पटना एयरपोर्ट क विकल्प नहि रहला स सब नियम कए धता बताकए पटना एयरपोर्ट चालू राखल गेल अछि। एहन मे अंतरराष्ट्रीय संस्था क ऑडिट स पहिने आनन-फानन मे एयरपोर्ट बंद क ओकरा दासर जगह शुरू करबाक तैयारी कैल जा रहल अछि ताकि भारत क हवाई सेवा क छवि आओर बेसी खराब नहि हुए।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. DARBHANGA KE BAAT KARI CHLON HEN KI BHELAI. DARBHANGA KE VIKAS KONO GOV. NAI CHAHAIT AICH AHAN SAB EKRA LEL KI KO RAHAL CHI

Comments are closed.