बंद नहि होएत लालू क रेल परियोजना : अहमद


पटना। केंद्र सरकार आ राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद क बीच चलि रहल तनातनी क बीच बिहार क रेल परियोजना पर उपेक्षाक खतरा उत्पन्न भ गेल अछि। इ गप एहि बेरका रेल बजट मे सेहो साफ देखा रहल अछि। ओना बिहार यात्रा पर आएल रेल राज्यमंत्री इ अहमदक दावा अछि जे बिहार मे लालू क कार्यकाल मे शुरू भेल रेल परियोजना बंद नहि होएत। चाहे मढ़ौरा क इंजन कारखाना हुए या फेर छपरा क रेल पहिया कारखाना। छपरा-समस्तीपुर रेलखंड क निरीक्षण क दौरान पत्रकार क सवालक उत्तर मे अहमद कहजा जे पूर्व रेल मंत्री लालू प्रसाद छपरा मे जे पहिया कारखाना क निर्माण कार्य शुरू करौने छलाह, ओ देश क तेसर पहिया कारखाना होएत। अहमद कहला जे विश्वास राखू 1417 करोड़ क लागत स बनिरहल एहि कारखाना क निर्माण कार्य तय समय पर पूरा होएत।
मधेपुरा रेल इंजन कारखाना क सवाल पर ओ चुप्पी साधि देलथि। संग-संग एहि गपक सेहो उत्तर देबा स बचलाह जे बिहारक परियोजना लेल एहि बेर पिछला साल स कम आवंटन किया भेल अछि। ओ इ कहला जे बिहार मे गंगा नदी पर दूटा पुल क निर्माण कार्य जारी अछि, मुुदा तेसर पुल कहिया बनि कए तैयार होएत एकर कोनो जानकारी नहि देलाह। मधेपुरा स्लीपर कारखाना लेल एहि रेल कैल गेल शून्य टकाक आवंटन पर सेहो इ अहमद चुप रहलाह। बिहारक रेल परियोजना लेल शून्य टकाक आवंटन इ सिद्ध करबा लेल काफी अछि जे एहि राज्यक परियोजना बंद त नहि कैल जा रहल अछि, मुदा एहि वित्त वर्ष मे कोनो परियोजना तैयार सेहो नहि हुए जा रहल अछि। चाहे ओ आठ करोड़क हुए या आठ हजार करोड़।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments