फ्लोटिंग रेस्टोरेंट मे होएत अगिला कैबिनेट

पटना। गंगा क प्रदूषण दिस दुनिया क ध्यान आकृष्टï करबाक उद्देश्य स बिहार कैबिनेट क अगिला बैठक फ्लोटिंग रेस्टोरेंट मे होएत। बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलथि जे राज्य सरकार क कैबिनेट क अगिला बैठक गंगा नदी मे चलैत जहाज मे होएत। मुख्यमंत्री कहलथि जे हम सब कैबिनेट क अगिला बैठक गंगा नदी मे चलैत जहाज मे करब। मुख्यमंत्री एहि स पहिने अपन कैबिनेट क बैठक बेगूसराय जिला क बरबिघी गांव आ नालंदा जिला क राजगीर मे रत्नागिरी क पहाड़ी पर बजा चुकल छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments