फ्रेंचाइजी कए देल जाएत गामक बिजली

पटना। रूरल इलेक्ट्रीफिकेशन कारपोरेशन क कार्यकारी निदेशक विनोद बिहारी कहला अछि जे राजीव गांधी विद्युतीकरण योजना क तहत बिहार मे 29 हजार गाम कए बिजली आपूर्ति लेल शीघ्र फ्रेंचाइजी क व्यवस्था कैल जाएत। एहि योजना मे बिजली आपूर्ति क संग राजस्व वसूली क कार्य फ्रेंचाइजी क माध्यम स करेबाक प्रावधान अछि। ओ बिहार राज्य विद्युत बोर्ड क मुख्य अभियंता (ग्रा.वि.) एनकेपी सिन्हा, फ्रेंचाइजी क अधीक्षण अभियंता एमपी यादव, टेरी क सौरव, मुजफ्फरपुर क फ्रेंचाइजी राजकिशोर सिंह आओर मुख्य परियोजना प्रबंधक हेमंत कुमार क संग समीक्षा बैठक मे इ जानकारी देलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments