फोन पर भेटत किसान क प्रश्न क जवाब

0
3
esamaad maithili newspaper

पटना। भारतीय कृषि अनुसंधान संस्थान क वैज्ञानिक प्रत्येक शुक्रदिन कए फोन पर किसान क सवाल क जवाब देताह। संस्थान क निदेशक डा. एमए खान कहलथि जे एकरा लेल शुक्रदिन कए 10 बजे स 5 बजे तक क समय निर्धारित कएल गेल अछि। राज्य क कोनो किसान 0612-2223972 पर फोन करि अपन समस्या क समाधान कृषि वैज्ञानिक स पूछ सकताह। श्री खान कहलथि जे संस्थान मे समेकित कृषि कए बढ़ावा देबाक लेल अनुसंधान कएल जा रहल अछि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page