फोक जलबा क ऑडिशन मे देखबा लेल भेटत दरबार हाल क जलबा

28 अगस्‍त कए होएत चयन, मालनी अवस्‍थी बनती जज

नई दिल्‍ली। उत्‍तर प्रदेशक प्रख्‍यात गायिका कजनी बाई क गायन क गवाह बनल दरभंगा क आनंदबाग पैलेस स्थिति दरबार हॉल उत्‍तर प्रदेशक प्रख्‍यात लोक गायिका मालनी अवस्‍थी क स्‍वागत करबा लेल तैयार अछि। मालिनी अवस्‍थी दरभंगा अपन प्रस्‍तुति देबा लेल नहि बल्कि लोक गायक-गायिका क चयन लेल आबि रहल छथि। क्षेत्रीय चैनल ‘’इटीवी बिहार’’ क प्रसिद्ध कार्यक्रम ‘फोक जलबा’ लेल दरभंगाक दरबार हॉल मे लोक गायक गायिकाक 28 अगस्‍त कए भोर 9:30 बजे स चयन प्रक्रिया शुरू होएत। चयनकर्ता क रूप में मालनी अवस्‍थी उपस्थित हेतीह। एहि प्रकारक कोनो कार्यक्रमक चयन दरभंगा मे पहिल बेर भ रहल अछि। संगहि मालनी अवस्‍थी सेहो दरभंगा पहिल बेर आबि रहल छथि। एहन मे फोक जलबा क ऑडिशनक बहाने दरबार हॉल एक बेर फेर अपन जलबा देखेबा लेल तैयार अछि। चैनल दिस स जारी विज्ञप्ति मे कहल गेल अछि जे फोक जलबा लोक संगीतक लोकप्रिय कार्यक्रम अछि आ पिछला आठ साल स चैनल पर प्रसारित भ रहल अछि। एहि कार्यक्रम में बिहारक भाषा जेना मैथिली, भोजपुरी आ मगही मे प्रस्‍तुति देल जाइत अछि। एहि कार्यक्रम क खास गप इ अछि जे एहि मे संस्‍कार गीत आ पारंपरिक गीत कए जन मानस तक पहुंचेबा मे मदद भेटैत अछि। चैनल कए उम्‍मीद अछि जे दरभंगा मे पहिल बेर भ रहल एहि चयन प्रक्रिया मे बेसी स बेसी संख्‍या मे कलाकार भाग लेताह आ देश दुनिया कए नव नव प्र‍तिभा स परिचित हेबाक मौका भेटत। एहि कार्यक्रम कए ल कए शहर मे सेहो उत्‍साह अछि। आन ठाम स सेहो कलाकार दरभंगा पहुंच रहल छथि। उम्‍मीद कैल जा रहल अछि जे चयनक दौरान कांटा क प्रतियोगिता होएत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments