फेर बनत रिकार्ड, बिहार में होएत सबसे लंबा पुल

पटना । महात्मा गांधी सेतु  पिछला दशक तक देशक सबस लंबा पुल छल, मुदा एक बर फेर इ रिकार्ड बिहार लग होएत। तमाम आरोप-प्रत्यारोप कए दरकिनार करैत नीतीश सरकार कच्ची दरगाह आ बिदुपुर क बीच गंगा नदी पर छह लेन क ग्रीन फील्ड पुल बनबाक अनुमति प्रदान क देलक अछि । राज्य मंत्रिमंडल 9.76 किलोमीटर लंबा एहि पुल कए अपन मंजूरी द देलक । इ देश क सबस लंबा पुल होएत, जे गांधी सतु से लगभग दू गुणा लंबा होएत। लगभग चार हजार करोड़ टका क लागत स निर्मित एहि पुल लेल बिहार सरकार एशियन डेवलपमेंट बैंक स कर्ज लेत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.