फूल क सुगंध स दरभंगा करत नव वर्षक स्‍वागत

दरभंगा। दरभंगा नव वर्ष क सवागत फूल क सुगंध क संग करत। उत्तरी बिहार उद्यान समिति एक बेर फेर दरभंगा कए फूल क बगान देखेबाक तैयारी मे जुटल अछि। फूल क संसार बसा कए नव साल क स्वागत करबा लेल दरभंगा तैयार अछि। लगातार 21 म पुष्प प्रदर्शनी समारोह तीन दिवसीय होएत। 28 दिसंबर स प्रतिभागी क गमला क इंट्री क संग एकर शुरुआत होएत आ 29 दिसंबर कए निर्णायक मंडल क सदस्य गमला क निरीक्षण अंक देताह। अंतिम दिन 30 दिसंबर क भोर 10 बजे स राति 8 बजे तक नगर भवन मे लागल एहि फूल क बगिया कए आम लोक देख सकत।
ज्ञात हुए जे पहिने नव वर्ष पर आम लोक लेल दरभंगा क सबस सुंदर उद्यान बेला पैलेस आम लोक लेल खोलल जाइत छल, मुदा पिछला दू दशक स ओ परंपरा बंद भ गेल आ फूल आ दरभंगाक संबंध बरकरार रखबा लेल पिछला 21 साल स उत्तरी बिहार उद्यान समिति दरभंगा मे पुष्‍प प्रदर्शनीक आयोजन क रहल अछि।
पुष्‍प प्रदर्शनी क जानकारी दैत समिति क अध्यक्षा लता खेतान कहलथि जे 28 दिसंबर क भोर 10 बजे स सांझ 6 बजे तक गमला क इंट्री होएत। अगिला दिन दुपहरिया 1 बजे स प्रदर्शनी मे शामिल फूल, कैकटस, कट फ्लावर, ट्रे गार्डनिंग, फल आ तरकारी क निरीक्षण निर्णायक करताह। अंतिम दिन 30 दिसंबर कए भोर 10 बजे समारोह क विधिवत उद्घाटन होएत आ सफल प्रतिभागी कए पुरस्कृत कैल जाएत। कार्यक्रम क संबंध मे समिति क सचिव मित्रनाथ मिश्र कहला जे दिल्ली, भागलपुर आ पूसा (समस्तीपुर) क निर्णायक एहि बेर निर्णय देताह। विनोद सरावगी कहला जे एहि बेरका पुष्प प्रदर्शनी मे किसान आ छात्र क सेहो भागीदारी होएत। एकटा गाछ अननिहार क सेहो समिति स्वागत करत।। हुनका इंट्री देल जाएत।
एहि मौका पर समिति क संरक्षक डॉ. केएनपी सिन्हा कहला अछि जे समिति क नारा ‘ग्रीन दरभंगा क्लीन दरभंगा’ कए साकार करबा लेल हर व्यक्ति क भागीदारी हेबाक चाही। संगहि ओ कहला जे अगर हम सब केवल अपन घर आ आसपास कए साफ क ली त पूरा दरभंगा स्वच्छ भ जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments