फूड प्रोसेसिंग मे कनाडा देत तकनीकी सहयोग

पटना। बिहार क विकास क सहभागी बनबा मे कनाडा दिलचस्पी लेलक अछि। कनाडा बिहार कए फूड प्रोसेसिंग क क्षेत्र मे तकनीकी सहयोग क पेशकश केलक अछि। ओ दावा केलक अछि जे एहि सेक्टर मे बिहार मे असीम संभावना अछि आ आबैवाला समय मे इ राज्य देश क अन्य राज्य कए पाछू छोडि़ सकैत अछि। कनाडा क कृषि, ग्रामीण आ खाद्य उपमंत्री डॉ. बेरी टॉड राज्य क उद्योग, जल संसाधन, निबंधन, उत्पाद आ मद्य निषेध मंत्री विजेन्द्र प्रसाद स भेंट केलथि आ हुनका कनाडा सरकार क विधिवत प्रस्ताव सेहो देलथि। डॉ. टॉड कहला जे फूड प्रोसेसिंग मे कनाडा विश्व क उन्नत राष्ट्र मे अछि आ तकनीकी रूप स काफी दक्ष अछि। बैठक क बाद विजेन्द्र प्रसाद यादव कहला जे मक्का, लीची, मिर्च, गेहूं आ आम क फूड प्रोसेसिंग मे कनाडा विशेष सहयोग क उत्सुक अछि। उत्पादन स लकए बेहतर पैकिंग तक क तमाम प्रक्रिया कए वैज्ञानिक तरीका स कार्यान्वित करबा आ अन्य तकनीकी सहयोग देबा लेल दूनू गोटे तैयार छी। बिहार कए एकर जरूरत छल। यादव कहलथि जे तकनीकी रूप स सक्षम भेलाक बाद फूड प्रोसेसिंग क क्षेत्र मे बिहार देश क सबस पैघ उत्पादक राज्य बनबाक क्षमता रखैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments