फिल्‍म महोत्‍सवक आयोजन सब साल हेबाक चाही : संजय सरावगी


दरभंगा मे अंतरराष्‍ट्रीय फिल्‍म महोत्‍सव क उदघाटन करैत पूर्व सांसद फातमी

दरभंगा। कामेश्‍वर सिंह दरभंगा संस्‍कृत विश्‍वविद्यालय क दरबार हॉल मे आयोजित पहिल दरभंगा अंतरराष्‍ट्रीय फिल्‍म महोत्‍सव संपन्‍न भ गेल। एहि दू दिवसीय कार्यक्रम मे किछु नीक विषय पर डाक्यूमेंटरी देखबाक अवसर दरभंगा क दर्शक कए भेट सकल। समापन क अवसर पर स्‍थानीय विधायक संजय सरावगी चयनित कलाकार सब कए पुरस्‍कार देलथि। सर्वश्रेष्‍ठ अभिनेता, अभिनेत्री आ निदेशक कए पुरस्‍कृत कैल गेल। कलाकार सब कए पुरस्‍कृत करैत विधायक श्री सरावगी कहला जे एहन आयोजन स मिथिला क विकास होएत आ एहि ठामक कलाकार सब कए आगू बढबाक मौका भेटत। श्री सरावगी कहला जे एहि बेर पहिल आयोजन छल, एहन आयोजन सब साल हेबाक चाही। ओ कहला जे भविष्‍य मे एहि तरहक आयोजन मे हुनका स जे संभव मदद होएत से ओ देबा लेल तैयार छथि आ रहताह।
एहि स पूर्व महोत्‍सव क उदघाटन करैत दरभंगाक पूर्व सासंद अली अशरफ फातमी कहला जे मिथिलाक धरती पर एहन आयोजन गौरव क गप अछि। एहि ठामक युवा काफी प्रतिभावान छथि। एहि ठाम जरूरत केवल हुनका सही मौका देबाक अछि। एहि प्रकारक आयोजन स विकास क नव दुहारि खुलैत अछि। एहि महोत्‍सव मे काठमांडू(नेपाल) स आयल मैथिली फिल्‍म क निर्माता-निदे्रशक अमितेश शाह आ राजनाथ विद्रोही सेहो महोत्‍सव क महत्‍ता पर अपन विचार रखलथि। महोत्‍सव क दौरान हैंडओवर आ जगदीश चंद बसु सन किछु खास सिनेमा दरभंगा क लोक कए देखबा लेल भेटल। कुल मिला कए एहि मे हिन्दी, अंग्रेजी आ मैथिलीक कुल 5-6 गोट छोट-छोट सिनेमाक प्रदर्शन कैल गेल । ओना ई आयोजन मैथिली फिल्मक 50 म वर्ष पूरा हेबाक अवसर पर कैल गेल छल, मुदा एहि मे मैथिलीक कोनो फिल्मक प्रदर्शन नहि कैल गेल। एड्स पर आधारित फिल्म कमला देखा मैथिली फिल्म क खानापूर्ति भेल।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments