फिल्म सन नहि अछि बिहार, एक बेर जा कए देखू सलमान: सोनाक्षी


मुंबई। दबंग मे जेहन बिहार कए देखाउल गेल अछि ओहन नहि अछि हम्मर बिहार, अहां एक बेर बिहार जा कए देखू सलमान। जी हां, किछु एहने आग्रह छल फिल्म दबंग क हिरोइन आ बिहार क बेटी सोनाक्षी क, जिनकर आग्रहक बाद सलमान खान तय केलथि अछि जे ओ अपन फिल्म दबंग क प्रमोशन क लेल बिहार जेताह। सलमान न सिर्फ बिहार बल्कि उत्तर भारत क एहन 20टा इलाक क दौरा करताह। जतए ओ एखन धरि नहि गेलाह अछि।
ओना त फिल्म क कहानी बिहार स प्रेरित अछि, मुदा एकर शूटिंग बिहार मे नहि भेल अछि। एहि फिल्म मे एक बेर फेर बिहारक संस्कृति कए दुनियाक सामने असभ्य रूप मे आनल जा रहल अछि। एहन बिहार मे सलमान क फैन्स क जबरदस्त तादाद कए दखैत फिल्म निर्माता चाहैत छलाह जे सलमान बिहार जा लोक कए फिल्म देखबा लेल मजबूर करथि। मुदा सलमान बिहार जेबा लेल तैयार नहि छलाह। एहन मे सोनाक्षी क अनुरोध काज आएल आ सलमान बिहार जेबा लेल तैयार भ गेलाह । ओना बिहार सरकार सलमान क सुरक्षा क लेल पुख्ता इंतजाम करबा वादा केलक अछि। सोनाक्षी आ सलमान क इ फिल्म ईद क मौका पर रिलीज होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments