फातमी केलथि बांध निर्माणक विरोध

1
1
esamaad maithili newspaper

दरभंगा। पूर्व केंद्रीय मंत्री आ राजद क वरिष्ठ नेता अली असरफ फातमी कहला अछि जे बांध जीवन नहि बल्कि पलायन दैत अछि ताहि लेल बांधक विरोध करबाक चाही। ओ कहला जे बिहार सरकार जिला क नदी सब कए जोडबाक बदला मे नदीक कछैर मे बसल गाम सब कए बांध बना कए उजारबाक प्रयास क रहल अछि। ओ कहला जे सरकार जिला क गौसाघाट स ल कए कुशेश्वरस्थान तक जीवछ आ कमला क कछैर स पांच सौ फीट हटि कए बिना सोचने बुझने जे बांध क निर्माण करबा रहल अछि ओ एहि क्षेत्रक लोक कए पलायन पर मजबूर करत, इ निर्माण सरासर गलत अछि। फातमी कहला जे इतिहास गवाह अछि जे बांध पलायन आ बर्बादीक अलावा हमरा सब कए किछु नहि देलक अछि। नदी पर बांध बनला स आसपासक गाम मे बाढ़ क खतरा बढि जाएत। पूर्व केंद्रीय मंत्री कटवासा गाम मे एकटा जनसभा कए संबोधित करैत कहला जे अगर सरकार कए जनता क दर्दक इलाज करबाक अछि त कम स कम उच्चस्तरीय अभियंता आ अधिकारी क टीम स पहिने इ त पता लगा लेबाक चाहैत छल जे एहि नदी पर बांध बनेबा स नदीक तल मे बालूक जमाव केतबा होएत आ बांध बनला स गामक रक्षा कोना भ सकत। ओ कहला जे उत्‍तर बिहार मे जाहि नदी पर बांध बनल अछि आहि नदी सबहक तल मे एतबा बालू जमा भ गेल अछि जे नदी गाम क सतह स कई ठाम उपर बहि रहल अछि आ कई ठाम त बांध क उंचाई बढाउल जा रहल अछि। पूर्व मंत्री कहला जे बिना शोध आ सर्वेक्षण केने नदी पर बांध बनेबाक गलती जनता पर भारी पडत। ओ कहला जे सरकार अगर एहिना बिना सोचने बांध निर्माण करबत त राष्ट्रीय जनता दल एकर खिलाफ उग्र आंदोलन करत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page

1 COMMENT

  1. ई बात ठीक बजलाह फातिमी – बाँध विनाशक कारन- गाधी हतौ – जुर शीतल में कादो खेलाऊ- पोखरी नदीक पेट साफ़ करू -बाधी आयत मुदा लाभकारी

Comments are closed.