फतुहा में इंटरनेशनल ट्रैक्टर्स कंपनी लिमिटेड क नव इकाई क उद्घाटन


फतुहा । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार फतुहा मे इंटरनेशनल ट्रैक्टर्स कंपनी लिमिटेड क नव इकाई क उद्घाटन केलथि। मुख्यमंत्री एहि मौका पर कहल जे एहि स बेसी प्रसन्नता क आओर कौन गप भ सकैत अछि जे ढाई साल पहिने फतुहा औद्योगिक क्षेत्र परिसर मे हम एहि फैक्ट्री क भूमिपूजन केने छलहू आ आइ एकर उद्घाटन क रहल छी। ओ कहला जे बिहार मे उद्योग लेल बिजली क आवश्यकता बढल जा रहल अछि आ ताप बिजली क क्षेत्र मे लोक निवेश करै चाहैत छथिख् मुदा केंद्र कोल लिंकेज देबाक प्रस्ताव नहि मानि रहल अछि। केंद्र सरकार कोल लिंकेज क जगह कोल ब्लाक क गप कहि रहल अछि। इ दूनू अलग-अलग गप अछि। खनन करैब केंद्र क काज छी। कोकिंग कोल इस्पात बनेबा मे अबैत अछि ओहि स बिजली क उत्पादन नहि होइत अछि। मुख्यमंत्री सोनालिका समूह क प्रशंसा करैत आश्वासन देलथि जे राज्य सरकार कंपनी कए पूरा सहयोग देत। एहि मौका पर उद्योग मंत्री बिजेंद्र प्रसाद यादव कहला जे एहि तरह क इकाई स बेरोजगार कए रोजगार भेटत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments