प्रोन्नति मे आरक्षण क प्रावधान वाला बिहार देशक पहिल प्रदेश बनल

पटना। राज्य सरकार क नौकरी क प्रोन्नति मे आरक्षण क प्रावधान कए लागू रखनिहार बिहार देशक पहिल प्रदेश बनि गेल अछि। पिछला कैबिनेट क बैसार मे सरकार एहि फैसला कए अपन मंजूरी प्रदान क देलक। सरकार क फैसला क प्रति अनुसूचित जाति-जनजाति कर्मचारी संघ आभार प्रकट केलक अछि। पटना प्रमंडल क आयुक्त केपी रमैया आ निदेशक, भू अर्जन, हुकुम सिंह मीणा कहलथि अछि जे सामाजिक न्याय क दिशा मे राज्य सरकार क इ निर्णय ऐतिहासिक अछि। राज्य सरकार क नौकरी क परिणामी वरीयता क संग-संग प्रोन्नति मे आरक्षण क प्रावधान कए लागू रखनिहार देश क पहिल प्रदेश बनि गेल अछि बिहार। सुप्रीम कोर्ट क फैसला क आलोक मे राज्य सरकार आंकडा क संग्रह करौने छल। एकर बाद बहुत त्वरित गति स अनुसूचित जाति-जनजाति क सरकारी कर्मी स संबंधित आंकडा क समीक्षा कैल गेल। समीक्षा क बाद प्रोन्नति मे आरक्षण आ परिणामी वरीयता जारी रखबाक निर्णय कए कैबिनेट क मंजूरी द देल गेल।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

Comments are closed.