प्रा. शिक्षक अभ्यर्थी क नियोजन जुलाई मे

पटना । मानव संसाधन विकास विभाग 70 हजार प्राथमिक शिक्षक अभ्यर्थी कए जुलाई क अंतिम सप्ताह मे नियोजन पत्र प्रदान करत। एकर संगहि 28 अगस्त कए तीन साल क सेवा पूरी करि चुकल लगभग 1.25 लाख नियोजित शिक्षक कए दक्षता परीक्षा 29 अगस्त कए लेल जाएत। जिला शिक्षा अधीक्षक (डीएसई) क समीक्षा बैठक मे उक्त निर्णय सुना देल गेल अछि। प्राथमिक शिक्षा उपनिदेशक आर.एस.सिंह कहला जे अधिकांश जिला मे चयनित शिक्षक अभ्यर्थी क शिक्षण आ प्रशिक्षण प्रमाण पत्र क 95 फीसदी तक सत्यापन भ चुकल अछि। लिहाजा एहि काज मे पिछड़ल जिला क डीएसई कए कहल गेल अछि जे ओ प्रमंडलवार सत्यापन कार्य मेे तेजी आनि एक सप्ताह मे अपन रिपोर्ट सौंप दथि। सिंह कहला जे 20 जुलाई कए सत्यापन कार्य क पुन: समीक्षा कैल जाएत आ जुलाई क अंतिम सप्ताह मे अभ्यर्थी कए नियोजन पत्र क वितरण कैल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments