प्रशिक्षित शिक्षक भर्ती मामला मे मध्यस्थ नियुक्त

नई दिल्ली। सुप्रीम कोर्ट बिहार क प्रशिक्षित शिक्षक क भर्ती क मामला मे सब पक्षक आपत्ति सुनलाक बाद उम्मीदवार क सूची कए अंतिम रूप देबा लेल ओडि‍शा हाई कोर्ट क सेवानिवृत्त न्यायाधीश वीए मोहता कए मध्यस्थ नियुक्त केलक अछि‍। सुप्रीम कोर्ट कहलक अछि‍ जे जि‍नका सरकार क तैयार सूची पर आपत्ति अछि‍ ओ अपन आपत्ति 31 जनवरी तक दर्ज करा दी। मध्यस्थ 19 फरवरी कए एहि‍ मामला मे पहि‍ल सुनवाई करताह आ सब पक्षक आपत्ति पर विचार करलाक बाद उम्मीदवार क अंतिम सूची कोर्ट कए सौंपल जाए। कोर्ट 29 मार्च कए एहि‍ मामला मे फेर सुनवाई करत। कोर्ट साफ केलक जे मध्यस्थ क सामने केपल ओ आपत्ति द सकैत छथि‍ जे सुप्रीम कोर्ट मे पक्षकार छथि‍।
एहि‍ स पूर्व बिहार सरकार क वकील मनीष कुमार 34,540 प्रशिक्षित शिक्षक क पद लेल कुल 1,23,000 उम्मीदवार क सूची कोर्ट कए देलथि‍।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments