प्रयाग मे लघु राज्य क सार्थकता पर मंथन


इलाहाबाद। प्रयाग मे लघु राज्यक सार्थकता पर एकटा संगोष्ठि क आयोजन कैल गेल। एहि संगोष्ठि क आयोजन विधुकांत मिश्र, मैथिली अकादमी आओर मिथिला सांस्कृतिक संगमक संयुक्त तत्वावधान मे संपन्न भेल। संगोष्ठि मे मुख्य वक्ता अतंरराष्ट्रीय मैथिली परिषदक अध्यक्ष डॉ धनाकर ठाकुर छलाह। अपन संबोधन मे डॉ ठाकुर भाषागत, भौगोलिक आ सामाजिक आधार पर लघु राज्य विशेष करि मिथिलांचल क गठन पर जोर देलथि। संगोष्ठि मे प्रदीप झा, देवकांत झा, एके झा, अखिलेश झा, सुधीर मिश्र, संजीव झा आदि अपन विचार रखलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments