प्रधानमंत्री क बाट तकैत अछि बिहार क कईटा परियोजना

पटना । बिहार मे कईटा पैघ परियोजना तैयार अछि, मुदा ओकर लोकार्पण प्रधानमंत्री क समय अभाव क कारण नहि भ पाबि रहल अछि। सूत्रक कहब अछि जे प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह एहि मासक अंत बा अगिला मासक शुरू मे बिहार आबि सकैत छथि, मुदा वर्तमान राजनीतिक घटनाक्रम कए देखैत इ आगू-पाछु भ सकैत अछि। जहां धरि तैयार परियोजनाक सवाल अछि त एहि मे नीतीश आ लालू दूनू क शुरू कैल परियोजना शामिल अछि, एहन मे कांग्रेस लेल इ राजनीतिक रूप स काफी महत्वपूर्ण अछि जे तैयार परियोजना पर कोना अपन छाप ठोकल जाए। जानकारक कहब अछि जे नीतीश कुमार क रेलमंत्रीत्व काल मे शुरू भेल हरनौत रेल डिब्बा कारखाना बनि कए तैयार अछि आ लोकार्पणक बाट ताकि रहल अछि। एहिना लालू प्रसाद क रेलमंत्रीत्व काल मे शुरू भेल छपरा रेल चक्का कारखाना सेहो उत्पादन लेल तैयार अछि। एहि दूनू कारखाना मे एखन प्रयोगात्मक उत्पादन भ रहल अछि। एहिना एनटीपीसी क बाढ़ थर्मल क पहिल यूनिट सेहो लगभग तैयार अछि आ एहि माह क अंत तक एहि ठाम स उत्पादन शुरू भ सकैत अछि। एहि परियोजना कए लोकार्पण सेहो प्रधानमंत्री क सकैत छथि। सूत्रक कहब अछि जे प्रधानमंत्री अगर एहि तीनटा पैघ कारखाना कए लोकार्पण करबा लेल बिहार एताह त किछु आर छोट-पैघ परियोजना अछि जेकर ओहि लगा लोकार्पण भ सकैत अछि, जाहि में किछु रेलवे क नव लाइन आ आमान परिवर्तन क परियोजना शामिल अछि। एनटीपीसी संग बिहार सरकारक संयुक्त प्रयास स ठीक भ रहल कांटी थर्मल सेहो अगिला मास उत्पादन शुरू करत। एहन मे उम्मीद कैल जा रहल अछि जे एकर लोकार्पण सेहो प्रधानमंत्री क हाथ स भ सकैत अछि। चुनाव स पूर्व नीतीश आ लालू क संगहि पूरा बिहार एहि परियोजना सबहक लोकार्पण क बाट ताकि रहल अछि, मुदा सवाल अछि जे प्रधानमंत्री कहिया बिहार लेल समय निकालैत छथि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. Biharak jantak prati sambedanshilta ta pradhanmantrik bujhaite chhal tahi kari me e bilamb seho jurat. Ekhan pradhanmantri jatbak janta ke tarseta, otabak 2014 me EVM me san vote bahrai ken lel tarsta…….

Comments are closed.