प्रदेश कए भेटल कोल लिंकेज!

पटना । चुनावी मौसम मे केन्द्र कोल लिंकेज क बहाने तुरुप क एकटा आओर पत्ता फेंकलक अछि। केन्द्र सरकार गजरा (लखीसराय), चौसा (बक्सर) आओर पीरपैंती क विद्युत परियोजना क लेल कोल लिंकेज कए हरी झंडी द देलक अछि। एहि आशय क दावा प्रदेश कांग्रेस प्रवक्ता प्रेमचंद्र मिश्र केलथि अछि। मिश्र कहब अछि जे दू-तीन दिन क भीतर केन्द्रीय ऊर्जा राज्य मंत्री बिहार औताह आ कोल लिंकेज पर आओर खुलासा करताह। कांग्रेस प्रवक्ता कहब अछि जे केन्द्र नवीनगर, बाढ़ आ मुजफ्फरपुर क इकाई क लेल पहिने कोल लिंकेज क मंजूरी द चुकल अछि। एकरा लेल उड़ीसा क तोरमा पहाड़ी तोरा स 700 मिलियन टन आ पूर्वी बोबारों क सरिया टांड स 200 मिलियन टन कोयला क अनुमति भेटल अछि, मुदा आइ धरि एक ग्राम कोयले क खनन नहि भेल अछि। उल्लेखनीय अछि जे विद्युत उत्पादन मे पिछडल बिहार लेल राज्य आ केन्द्र क बीच कोल लिंकेज क सवाल पर आरोप-प्रत्यारोप क सिलसिला चलैत रहल अछि। ओना एखन धरि एहि पर अधिकारिक पुष्टि नहि भेट सकल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments