प्रणब जारी केलथि बिहार कृषि रोड मैप

पटना। राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी बुधदिन पटना क श्रीकृष्ण मेमोरियल हॉल मे आयोजित एकटा कार्यक्रम मे बिहार कृषि रोड मैप क शुरूआत केलथि। राष्ट्रपति कहला जे कृषि क क्षेत्र मे विकास जरूरी अछि, जेकरा लेल दोसर हरित क्रांति क आवश्यकता अछि। राष्ट्रपति कहला जे कृषि मे किसान कए मुनाफा कोना हुए, एहि पर अध्ययन हेबाक चाही। बिहार एबा पर खुशी जाहिर करैत ओ कहला जे बिहार क सभ्यता काफी पुरान अछि आ बिहार आबि कए हुनका प्रसन्नता भ रहल अछि। बिहार सरकार क प्रशंसा करैत ओ कहला जे सहकारिता क माध्यम स किसान कए कईटा स्थान पर लाभ पहुंचायल गेल अछि। कृषि क विकास लेल दोसर हरित क्रांति बिहार स शुरु हेबाक चाही। कार्यक्रम क दौरान कृषि रोड मैप पर आधारित एकटा वृत्तचित्र सेहो दिखाउल गेल। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बिहार कए विशेष दर्जा देबाक अनुरोध करैत राष्ट्रपति कए कृषि रोड मैप क विस्तृत जानकारी देलथि। एहि योजना पर अगिला पांच वर्ष मे 1.50 लाख करोड़ टका खर्च हेबाक अनुमान अछि। समारोह मे राज्य क चुनिंदा 1,000 किसान सेहो भाग लेलथि। एहि कृषि रोड मैप क लक्ष्य केवल उत्पादन मे वृद्धि करब संगहि एहि मे खाद्यान्न सुरक्षा, पोषण सुरक्षा, कृषि विकास क समावेशी मानवीय आधार आ महिला क व्यापक भागीदरी क अलावा किसान क आमदनी मे वृद्धि, रोजगार क सृजन आ मजदूर क पलायन पर रोक आ प्राकृतिक संसाधन क संरक्षण आ उपयोग कए शामिल कैल गेल अछि।
एहि स पूर्व करीब 12 बजे राष्ट्रपति वायु सेना क विशेष विमान स पटना हवाईअड्डा पहुंचलाह, जाहि ठाम हुनका गार्ड ऑफ ऑनर देल गेल। हवाईअड्डा पर मुख्यमंत्री हुनकर स्‍वागत केलथि। एहि मौका पर राज्यपाल देवानंद कुंवर, उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी सहित सबटा मंत्री आ अधिकारी उपस्थित छलाह।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments