पैघ निजी हास्पिटल कए भेटत सरकारी जमीन

फुलवारीशरीफ (पटना)। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे सरकार निजी क्षेत्र क पैघ अस्पताल क लेल जमीन देबा लेल तैयार अछि। ओ महावीर कैंसर संस्थान मे ब्रेकिथिरेपी सम्मेलन क उद्घाटन करबाकबाद बाजि रहल छलाह। ओ कहला जे निजी अस्पताल क रुख सेहो बिहार दिस भ रहल अछि। जमीन क कमी रहबाकबावजूद कोशिश अछि जे बाहर क महत्वपूर्ण अस्पताल कए जगह देल जाए, ताकि बिहार क लोक पैघ अस्पताल क सुविधा सस्ता मे बिहार मे प्राप्त करि सकथि।
नीतीश कहला जे स्वयंसेवी संस्था कए महावीर मंदिर न्यास समिति क अनुकरण करबाक चाही। मंदिर क चढ़ावा स इ संस्थान चिकित्सा क क्षेत्र मे उल्लेखनीय कार्य करि रहल अछि। महावीर कैंसर संस्थान कैंसर क मरीज क बेहतर तरीका स इलाज करि रहल अछि। एहि कारण लोक आब बाहर कम जा रहल अछि। अगर संस्थान कए सरकारी सहायता क आवश्यकता अछि त सरकार मदद मे देर नहि करत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments