पेप्सी क खाद करत बिहार कए आबाद

नई दिल्ली। पेप्सी 2001 मे पंजाब क आलू किसान क संग ठेका पर खेती करबाक शुरुआत केने छल आ धीरे धीरे एकरा पश्चिम बंगाल, उत्तर प्रदेश, महाराष्ट्र्र, कर्नाटक आ गुजरात मे ल गेल। आइ कंपनी करीब 22,000 किसान स आलू, धान, ज्वार, टमाटर आ मिरचाई क खेती ठेका पर करा रह अछि। कंपनी ठेका पर खेती क एहि कार्यक्रम कए बिहार ल जेबाक योजना बनेलक अछि आ शीघ्र बिहार मे एहन खेती शुरू होएत। ओना देश मे ठेका पर खेती करबाक नीति नहि रहबाक बावजूद कंपनी कए एहि कार्यक्रम कए सफलता भेटल अछि। कंपनी क कहब अछि जे एहि कार्यक्रम क नियंत्रण क लेल कोनो नीति क जरूरत नहि अछि। पेप्सिको इंडिया क कार्यकारी निदेशक (कृषि आ बाहरी मामला) विवेक भारती कहब अछि, एकरा लेल कोनो नीति क जरूरत नहि होइत अछि। इ दूनू पक्ष क परस्पर भरोस पर निर्भर करैत अछि। आइ पश्चिम बंगाल क 6टा जिला क करीब 6,500 आलू किसान कंपनी लेल खेती करि रहल छथि आ थोक भाव मे गिरावट क बावजूद 6-8 टका प्रति किलोग्राम क हिसाब स फसल क कीमत ल रहल अछि। इ किसान खाद्य एवं पेय पदार्थ कंपनी पेप्सिको क लेल खेती स खुश छथि। आब बिहार क किसान कए सेहो पेप्सी क हाथ थामबाक मौका भेट सकैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments