पूर्व डीजीपी क घर जब्‍त

पटना। आय स बेसी धन अर्जित करनिहार पर निगरानी क शिकंजा कसैत जा रहल अछि। एक दिस निगरानी क विशेष कोर्ट कटोरिया विधानसभा क्षेत्र स भाजपा विधायक सोने लाल हेम्ब्रम क संपत्ति जब्त करबाक नोटिस जारी केलक अछि त दोसर दिस पटना जिला प्रशासन पूर्व डीजीपी नारायण मिश्रा क दानापुर क वेद नगर (रूपसपुर) स्थित अलीशान घर मधु कुंज कए जब्त क लेलक। प्रशासनिक क टीम दीघा क नेपाली नगर मे नारायण मिश्र क 5440-5440 स्क्वायर फुट क दूटा प्लाट कए सेहो जब्त केने छल। ज्ञात हुए जे पूर्व डीजीपी क संपत्ति जब्त करबाक आदेश कोर्ट 30 जुलाई कए देने छल। 31 जुलाई कए कोर्ट क आदेश एला पर जिलाधिकारी हुनकर सवा करोड़ क संपति जब्त करबा क आदेश देने छलाह। ओना जब्‍ती क कार्रवाई क सूचना मिश्र कए पहिने स छल। एकर प्रमाण इ भेल जे मकानक अलाबा किछु जब्‍त नहि भ सकल। अपर समाहर्ता सुरेश शर्मा क अनुसार हुनका घर मे टूटल फूटल फर्नीचर आ कचरा क अलावा किछु हाथ नहि लागल। मकान मे रहि रहल 7टा किरायेदार कए तुरंत घर खाली करबाक निर्देश दैत मेनगेट पर अधिग्रहण क आदेश क सूचना चस्पा क देल गेल अछि। सबटा कोठली कए सील क देल गेल अछि। जानकारी क अनुसार सरकारी नियम क अनुसार झोपड़ी मे चलि रहल टेशलाल वर्मा नगर प्राथमिक विद्यालय कए पूर्व डीजीपी क जब्त घर मे स्‍थानांतरित कैल जाएत। एहि आशय क प्रस्ताव दानापुर प्रखंड शिक्षा कार्यालय जिला शिक्षा पदाधिकारी कए सौंपलक अछि। एहि तीन मंजिला मकान मे 20 स बेसी कोठली अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments