पूर्णिया मे विधायक कए पीटलक जनता

पूर्णिया। जिला क अमौर स्थित कब्रिस्तान मे एकटा मृत जानवर कए दफनेबाक घटना स तमसायल भीड़ अमौर क कांग्रेसी विधायक जलील मस्तान कए ध कए धुनि देलक । वो एहि मसला पर अमौर-बायसी पथ पर प्रदर्शन करि रहल जनता कए शांत करबा लेल आयल छलाह। विधायक कए देखिते भीड़ अचानक बेकाबू भ गेल आ हनका पर टूटि पड़ल। भीड़ विधायक पर पहिने पथराव केलक। बाद में जमिकए धक्का-मुक्की सेहो भेल। जनताक बीच फंसल विधायक कए एतबा धुनाई भेल जे ओ सुरक्षा लेल गुहार करय लगलाह। जेना-तेना पुलिस क बीच-बचाव स विधायक जान बचाकए भागय मे सफल रहला। हालांकि एहि दौरान भेल झड़प मे कईटा पुलिसकर्मी कए सेहो चोट लागल अछि। हालांकि विधायक क स्थिति फिलहाल ठीक अछि आ ओ जिला मुख्यालय मे छथि। हैं। मुदा प्रत्यक्षदर्शी क अनुसार हुनका काफी चोट आयल अछि।
विधायक क पिटाई सूचना भेटला पर एसपी नैयर हसनैन खान, अपर समाहर्ता भूपेन्द्र कुमार सिंह, एनडीसी राजेन्द्र कुमार, डीएसपी मुख्यालय एस एस ठाकुर सहित लगभग सबटा अधिकारी मौका पर पहुंचलाह। भीड़ कए जेना-तेना शांत कैल गेल। एसपी कहला जे एहि मामला कए पुलिस ओतबा गंभीरता स नहि लेलक, जेतबा गंभीरता स लेबाक चाहेय छल। एसपी मामला कए गंभीरता स लैत अमौर थाना क थानेदार बीके झा कए तत्काल स्थानांतरित करि देलथि अछि। संगहि एसडीओ आ एसडीपीओ कए पूरा प्रकरण क जांच करि 24 घंटा क भीतर रिपोर्ट देबा लेल कहल गेल अछि। आरोपी क गिरफ्तारी क लेल टास्क फोर्स क गठन सेहो करि देल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. bahut nik baat………sutal lok sab jagi rahal achhi neta sabhak aish mouj ke din aab dhire2 khatam bhay rahal chhainh aab shayad hunko sabhak nind khujtainh aa kichh satkarmak vishay mein sochta
    ……bahut nik laagal e paper padhi ka……HAMAR BAHUT BAHUT SUBHKAMNA SAMAD TEAM KE………..

Comments are closed.