पूर्णिया मे रद्द होएत 2000 एकड़ जमीन क निबंधन

पूर्णिया । पूर्णिया जिला मे पिछला 18 साल मे भेल करीब 2 हजार एकड़ जमीन क निबंधन रद्द होएत। इ जमीन आदिवासी क नाम पर निबंधित अछि। जिलाधिकारी स अनुमति लेने बिना एकर निबंधन करेबाक सख्त मनाही अछि। एकर बावजूद 1995 स पूर्णिया मे इ घोटाला चलि रहल छल। मामला पकड़ मे एलाक बाद राजस्व आ भूमि सुधार विभाग एहि तरहक सबटा निबंधन कए तत्काल प्रभाव स रद्द करबाक निर्देश देलक अछि। जिलाधिकारी मनीष कुमार वर्मा क कहब अछि जे जाहि आदिवासी सबहक जमीन बिना अनुमित लेने निबंधित भेल अछि हुनकर निबंधन रद्द कैल जाएत।
गौरतलब अछि जे पूर्णिया मे 1995 स एखन धरि 476टा आदिवासी क जमीन निबंधित कराउल गेल अछि। एकर तहत 1,993 एकड़ जमीन क खरीद-बिक्री भेल। आश्चर्य क गप इ अछि जे इ सबटा काज महज एसडीओ स्तर क अधिकारी क अनुमति पर भेल अछि, जखन कि अधिकार डीएम लग अछि। जिला मे जमीन क अवैध ढंग स खरीद-फरोख्त क शिकायत भेटला पर पूर्णिया क पूर्व जिलाधिकारी डॉ. एन सरवण कुमार आदिवासी क जमीन क खरीद-बिक्री क रिकॉर्ड निबंधन कार्यालय स तलब केने छलह। रिकॉर्ड स संबंधित रिपोर्ट मे इ खुलासा भेल। मामला पकडि मे आयल त कुमार एहि पर आगू क कार्रवाई लेल 8 सितंबर 2012 कए राजस्व आ भूमि सुधार विभाग स निर्देश मंगलथि। डीएम क अनुमति क बिना एहि जमीन क निबंधन करनिहार तत्कालीन नौटा जिला निबंधन पदाधिकारी पर कार्रवाई क गाज सेहो खसि सकैत अछि। राजस्व आ भूमि सुधार विभाग क सचिव पत्र लिख कए ओहि निबंधन पदाधिकारी पर कार्रवाई करबाक अनुशंसा केलथि अछि जिनकर कार्यकाल मे इ निबंधन भेल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments