पूर्णिया मे तैनात होइत सुखोई-30

Sukhoi-30 1
पूर्णिया। असम क तेजपुर वायुसैनिक अड्डा पर सुखोई-30 लड़ाकू विमान तैनात करलाक बाद वायुसेना आब बिहार क पूर्णिया वायुसैनिक अड्डा कए सेहो सुखोई-30 क नवका अड्डा बनेबाक फैसला लेलक अछि। विश्वस्त रक्षा सूत्र क मुताबिक, वायुसेना अपन दीर्घकालीन योजना क तहत पूर्णिया वायुसैनिक अड्डा पर बेहतर संचार आ ढांचागत सुविधा लगेबाक तैयारी शुरू करि देलक अछि। उत्तर-पूर्व मे चीन स लागल इलाक मे वायुसैनिक अड्डा कए आधुनिक बनेबाक आ ओहि ठाम लड़ाकू विमान क संचालन करबा योग्य सुविधा देबाक दीर्घकालीन योजना क तहत वायुसेना कईटा आओर वायुसैनिक अड्डा क चयन केलक अछि। एहि रूप मे पूर्णिय वायुसैनिक अड्डा क चयन रणनीतिक रूप स काफी महत्व रखैत अछि। एहि वायुसैनिक अड्डा पर एखन वायुसेना क पैघ परिवहन विमान आईएल-76 आ एएन-32 उतारल जा सकैत अछि। ताहि लेल एकरा लड़ाकू विमान उतरारबा योग्य बनेबा मे कोनो खास दिक्कत नहि अछि आ इ किछु दिन मे एकरा लेल तैयार भ सकैत अछि।
तेजपुर स किछु सौ किलोमीटर पश्चिम पूर्णिया वायुसैनिक अड्डा कए सुखोई-30 एमकेआई लड़ाकू विमान क अड्डा मे तब्दील करबाक योजना वायुसेना क पूर्वोत्तर मं अपन हवाई रक्षा मजबूत कराबाक दिशा मे एकटा महत्वपूर्ण निर्णय अछि। तेजपुर मे एखन चारिटा सुखोई-30 विमान क संचालन भ रहल अछि। एहि ठाम दूटा स्क्वॉड्रन (करीब 36 विमान) तैनात करबा लेल ढांचागत सुविधा क विकास भ रहल अछि। सत्र कहैत छथि जे एकर बाद पूर्णिया वायुसैनिक अड्डा कए सेहो सुखोई-30 उड़ेबा योग्य बनाउल जाइत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments