पूर्णिया आ दरभंगा मे खुलत आयकर सेवा केंद्र

पटना। आयकर विभाग पटना क अलावा बिहार क दूटा आओर शहर मे अपन सेवा केंद्र खोलबाक फैसला लेलक अछि। विभाग आब पूर्णिया आ दरभंगा मे दिसंबर तक अपन सेवा केंद्र खोलि लेत। विभाग सिंगल विंडो समाधान शाखा अपन आयकर सेवा केंद्र क माध्‍यम स एक ठाम करदाता कए सबटा सुविधा महैया करेबाक प्रबंध करत। एहि ठाम आयकर संबंधी सबटा फार्म उपलब्‍ध रहत। संगहि आन लाइन निपटारा सेहो एहि ठाम स भ सकत। पटना क अलावा एहि दूनू शहर मे सेवा केंद्र खुलला स एक ठाम जतए उत्‍तर आ पूर्व बिहारक लोक कए पटना जेबा स राहत भेटत ओतहि पटना कार्यालय मे सेहो बोझ कम होएत। विभाग क एकटा अधिकारीक कहब अछि जे दरभंगा आ पूर्णिया मे सेवा केंद्र खुललाक बाद आयकर संबंधी मामला कए निपटारा सेहो जल्‍द होएत आ राज्‍य मे आयकर दाता क संख्‍या मे सेहो बढोतरी होएत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments